Monday, February 8, 2021

स्वरलोप

 


जखन बजैत काल कोनो शब्द आदिक लोप भए जाएत अछि त ओकरा स्वर लोप कहल जाएत अछि, जेना - अहाता स हाता, नरक स नर्क आदि

 

स्वरलोप तीन प्रकारक होएत अछि

1) आदि स्वरलोप, 2) मध्य स्वरलोप 3) अंत्य स्वरलोप

 

1) आदि स्वर लोप - जखन कोनो शब्दक पहिल स्वर लोप भए जाएत अछि त ओकरा आदि स्वर लोप कहल जाएत अछि जेना - अहाता स हाता, अनाज स नाज आदि

2) मध्य स्वर लोप - जखन कोनो शब्दक मध्य मे आबय बला कोनो स्वर विलोपित भए जाए त ओकरा मध्य स्वर लोप कहैत अछि, जेना बरतन से बर्तन, नरक से नर्क आदि ।

3) अंत्य स्वर लोप - जखन कोनो शब्द क अंत से कोनो स्वरक लोप भए जाए त ओकरा अंत्य स्वर लोप कहैत अछि, ई बेसी कए क फ्रेंच स अंग्रेजी मे जेबा पर भेटैत अछि जेना - bombe से bomb, balle से ball आदि ।

 

भाषा वैज्ञानिक भोलानाथ तिवारी क अनुसार आब अंत्य स्वर लोप क प्रयोग प्रायः उठि गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

आपकी प्रतिक्रिया सादर आमंत्रित हैं